पटना कॉलेज मे झड़प, छात्र नेता के दिनदहाड़े मारलक गोली

    0
    398

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना के पटना कॉलेज मे बुधदिन छात्रक दू टा गुटक बीच जमिकय मारिपीट आ फायरिंग भेल। फायरिंग और मारीपिटक अहि घटना मे दू टा छात्र गंभीर रुप सं घायल भेल अछि। फायरिंग मे नीरज नामक छात्र नेता के कमर मे गोली लागल अछि, जहन कि दोसर छात्र राजा के माँथ रोड़ेबाजी मे फाटि गेल अछि। घटनाक सूचना पाबि कय सिटी एसपी चंदन कुशवाहाक नेतृत्व मे पुलिस टीम मौका पर पहुँचल।

    दिनदहाड़े गोलीबारीक घटना सं पटना कॉलेजक कैंपस थर्रा उठल अछि। कॉलेज पहुंचल पुलिसक टीम मामलाक छानबीन मे जुटल अछि। फिलहाल दुनु छात्र के इलाजक लेल पीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    गोलाबारी आ मारिपीटक आरोप सैदपुर छात्रावासक छात्र पर लगाओल जा रहल अछि। जहन कि पुलिस सैदपुर छात्रावास पहुँचि कय आरोपीक पहचान करबा मे जुटल अछि। ज्ञात हो कि अहि सं पहिनहुँ पटना कॉलेज मे गैंगवारक घटना घटल अच्छी।