भाजपाक ऐतिहासिक जीत पर रामनाम संकीर्तन महायज्ञ’क आयोजन

    0
    255

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बेनीपुर अनुमंडलकें पोहद्दी गामक सुदामा कुटीमे मंगल दिन भाजपाक ऐतिहासिक जीत’क खुशीमे मानस प्रचार प्रसार समिति द्वारा रामनाम संकीर्तन महायज्ञकें आयोजन कएल गेल। अहि आयोजनक उद्घाटन बेनीपुरके पूर्व विधायक सह भाजपाक वरिष्ठ नेता गोपालजी ठाकुर फीता काटि कय केलनि।

    अहि अवसर पर पूर्व विधयाक गोपालजी ठाकुरके संग ललित कुमार झा, अवध किशोर दास, मण्डल अध्यक्ष राधेश्याम झा, यशोदानन्द झा, रामबहादुर झा, दुर्गा झा, सुरेश झा, महराज मिश्र सहित सैकड़ो ग्रामीण उपस्थित छलाह।