दरभंगामे रक्तदान शिविर सह संत समागम’क आयोजन

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: कुंवर सिंह महाविद्यालय लहेरियासरायमे संत निरंकारी मंडल’क जिला इकाई दिस सं रक्तदान शिविर तथा संत समागमकें आयोजन कएल गेल। अहि कार्यक्रमक उद्घाटन बनौली प्रक्षेत्रक प्रभारी महात्मा एसपी सिंह केलनि। रक्तदानमे दरभंगा, लहेरियासराय, शीशो, बहेड़ी, कुशेश्वरस्थान, सुपौल आदि क्षेत्र सं आएल भक्त सब भाग लेलनि।

    अहि मौका पर क्षेत्रिय प्रभारी एसपी सिंह कहलनि जे, रक्त बहब जरुरी अछि, मुदा नालीमे नहि, सत्संग स्थल पर एकर महत्व अलग होइत अछि। कार्यक्रमके प्रारंभमे सुनीता शेखर आ तनु भजन गाबि कय मन मोनकें मोहि लेलनि। ओतहि हरी सहनी कहलनि जे, मानवक मानवके लेल काज एनाई प्रभूक सेवा अछि। अहि मौक़ा पर राजकुमार प्रसाद, रामाशीष सिंह सेहो अप्पन विचार व्यक्त केलनि।