फरियादी सं नीक व्यवहार करबाक आदेश देलनि एसएसपी

    0
    426

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बृहस्पतिदिन वरीय पुलिस अधीक्षक सत्यवीर सिंहके कार्यालय प्रकोष्ठमे अपराध संगोष्ठीक आयोजन कएल गेल। वरीय पुलिस अधीक्षक सब पुलिस पदाधिकारीकें आदेश देलनि जे, निलंबित कांडक त्वरित निष्पादन करबाक लेल शीघ्र कार्यवाई कएल जाए, अन्यथा पदाधिकारीक खिलाफ कारवाई कएल जाएत।

    ओ कहलनि जे, थाना पर आबय वला सब फरयादीक संग पुलिस नीक व्यवहार करए। फरयादीक संग यदि पुलिसक व्यवहार ठीक नहि रहत त कारवाई कएल जाएत। ओ सब डीएसपीकें सेहो कांडकें सुपर विजनमे तेजी अनबाक आदेश देलनि।

    वरीय पुलिस अधीक्षक सब थानाक आदेश देलनि जे, रात्री गश्तीमे तेजी आनल जाए। ओतहि बैंक आ एटीएम वला इलाकामे पुलिस गश्ती तेज कएल जाए, संगहि जमीनी विवादक मामलामे कोताही नहि बरतबाक बात कहल गेल। अहि मौका पर जिलाक सब डीएसपी, आरक्षी निरीक्षक आ थानेदार मौजूद छल।