गरीब रथ एक्सप्रेस ट्रेन सं टकरायल बुलेट, सॉफ्टवेयर इंजीनियरक मौत

    0
    604

    मधुबनी,मिथिला मिरर-पारस ठाकुरः जयनगर-दरभंगा रेलखंड पर खजौली रेलवे स्टेशन सँ दक्षिण ठाहर गांव मे मानव रहित गुमटी संख्या-25 पर गरीब रथ एक्सप्रेस ट्रेन सँ टकरा कऽ बुलेट सवार सॉफ्टवेयर इंजीनियर लालू यादवक घटना स्थल पर मृत्यु पर भ गेलनि। युवक बाबूबरही थाना क्षेत्र के मैनपट्टी गांव के रहनिहार छलाह। घटना सं आक्रोशित स्थानीय लोक सब विरोध मे जयनगर सं दिल्ली जा रहल स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस ट्रेन के ढ़ाई घंटा तक रोइक कऽ प्रदर्शन केलाह।
    प्रदर्शनकारी लोकनिक मुख्य मांग छल कि मानव रहित गुमटी के जल्दी मानव सहित गुमटीमे परिवर्तित कैल जाय। बादमे डीआरएम समस्तीपुर सँ दूरभाष पर भेल बातचीतक बाद डीआरएम कहला जे तीन मासक भीतर अहि गुमटी कें मानव सहित गुमटीमे परिवर्तित क देल जायत, ताहि कें बाद ग्रामीण सब स्वतंत्रता सेनानी ट्रेन कें दिल्लीक लेल रवाना होमय देलाह। घटनाक बाद जानकारी पाबि घटना स्थल पर पहुंचल पुलिस लाश के पोस्टमार्टम करय वास्ते सदर अस्पताल मधुबनी भेज देलक। अपने कें बता दी कि लालूक बियाह अहि 4 फरवरी का भेल छल। एहि दर्दनाक घटना सँ मैनापट्टी गांव सहित पूरा इलाकामे मातमी सन्नाटा पसरल अछि।