आब दोसरो राज्य अपनाबय चाहैत अछि शराबबंदी पर बिहार मॉडल : नीतीश कुमार

    0
    246

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन निश्चय यात्राक दौरान बुधदिन मधुबनी के लखनौर प्रखंड के लौफा पंचायत मे लोक के संबोधित करैत कहलनि जे, आब दोसर राज्य सेहो शराबबंदी पर बिहार मॉडल के अपनाबय चाहैत अछि। मुख्यमंत्री जनता सं शराबबंदी के और सफल बनेबाक लेल सहयोग मंगलनि।

    अहि दौरान जीविका के सदस्य सब शराबबंदी के बाद जीवन मे आयल बदलावक जानकारी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के देलनि। निरीक्षण के दौरान मुख्यमंत्री के समक्ष किछु स्थानीय समस्या राखल गेल, जकर निवारण लेल मुख्यमंत्री आश्वासन देलनि। अहि लौफा पंचायत मे संबोधन आ निरिक्षण के बाद मुख्यमंत्री झंझारपुर के लेल रवाना भय गेलाह।

    अहि निश्चय यात्रा मे मुख्यमंत्री के संग प्रभारी मंत्री आलोक मेहता, मंत्री मदन मोहन झा के संग तमाम विधायक आ बहुत रास अधिकारी शामिल छलाह।