नीतीश सरकारक फैसला, बिहारक 21गोट फैक्ट्री मे आब नहि बनत शराब

    0
    364

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे आब शराब फैक्ट्रीक नवीकरण नहि होयत। मंगलदिन राजगीर मे बिहार कैबिनेटक विशेष बैसक के दौरान अहि फैसला के मंजूरी देल गेल। बैसक मे शराब बनाबय वला 21 गोट फैक्ट्री मे आब शराब नहि बनेबाक फैसला लेल गेल। सरकार इहो कहलक अछि जे यदि फैक्ट्री संचालक दोसर उत्पादक फैसला लैत अछि त सरकार एनओसी देत।

    कैबिनेटक बैसक मे शिक्षकक बकाया वेतनक लेल 2100 करोड़क राशि स्वीकृत कायल गेल। कैबिनेट पटना के डाकबंगला चौराहां पर आईटी टावर बनेबाक फैसला के सेहो स्वीकृति दय देलक अछि। बैसक मे बिहार विधान मंडल सत्रक स्वीकृति प्रदान कायल गेल जे,23 फरवरी सं 31 मार्च तक चलत।

    सड़क निर्माण सं सेहो बहुत रास महत्वपूर्ण फैसला लेल गेल। बैसक मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव समेत नीतीश कैबिनेटक सब मंत्री मौजूद छलाह।