नया सालक जश्नक लेल आनल गेल 10 लाखक शराब जब्त

    0
    260

    सीवान, मिथिला मिरर: बिहारक सीवान मे पुलिस आ प्रशासन के लाख कोशिशक बावजूद शराबक धंधा बंद हेबाक नाम नहि लय रहल अछि। शुक्रदिन जिलाक बड़हरिया थाना क्षेत्रक रसूलपुर गाम सं पुलिस शराबक एकटा बहुत पैघ खेप बरामद केलक अछि। जाहि मे देशी आ विदेशी शराब शामिल अचगही। शराबक ई खेप उत्तर प्रदेश एक्साईजक बताओल जा रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, बड़हरिया पुलिसक नया सालक सेलिब्रेशनक लेल यूपी सं भारी मात्रा मे शराब अनबाक सूचना भेटल छल। जाहि के बाद बड़हरिया पुलिस चौकस भय गेल छल। शुक्रदिन भोर मे कोहराक समय एकटा पिकअप वैन पर केराक आड़ मे ई शराब आनल जा रहल छल।

    शक भेला पर पुलिस वैनक पाछु केलक त वैन चालक कोहराक फायदा उठबैत रसूलपुर के समीप पिकअप के छोड़ि क फरार भय गेल। पुलिस पिकअप के जब्त कय लेलक अछि आ वैन के मालिक तथा चालक पर प्राथमिकी दर्ज कय अनुसन्धान मे जुटि गेल अछि। बरामद शराब करीब 160 कार्टून अछि, जकर कीमत 10 लाख सं अधिक बताओल जा रहल अछि।