शिक्षा मंत्री स मैथिली शिक्षकक बहालिक मांग कायल गेल

    0
    465

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मैथिली मे शिक्षक नियुक्तिक मांग के लय क दरभंगा कांग्रेसक वरिष्ठ नेता रामनारायण झा पवन चौधरी बिहार सरकार के शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी स भेंट कय ज्ञापन सौंपलाह। जकरा बाद मंत्री शिक्षक नियुक्ति के विषय के गंभीरता स लैत 11 सदस्यीय प्रतिनिधि मंडल के पूर्ण विवरण के संग अगिला सप्ताह भेंट करबाक लेल बजौलनि।

    जकरा बाद रामनारायण झा कहलनि जे, मिथिला आन्दोलन स जुड़ल लोकक संग बहुत जल्द बैठक कय प्रतिनिधि मंडलक नाम तय कय लेल जायत एवं ओकरा बाद सब दस्तावेजक संग मैथिली विषय मे शिक्षक बहालीक मांग के मंत्रीक समक्ष राखल जायत।

    ज्ञात हो कि बिहार सरकार दिस स बंगाली विषय के लेल शिक्षक पात्रता परीक्षाक विशेष आयोजन कायल गेल छल। जहन कि मैथिलीक अष्टम अनसूची मे मान्यता प्राप्त भेलाक बादो मैथिली विषयक लेल शिक्षक पात्रता परीक्षाक आयोजन एखन धरि नहि कराओल गेल।