मधेपुरा कॉलेजक मान्यता भेटबाक उम्मीद जागल

    0
    310

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा कॉलेज मे लगातार दोसर दिन नैक के टीम कॉलेजक कंप्यूटर लैब, प्रशासनिक व्यवस्था आ वित्तीय व्यवस्थाक निरीक्षण केलक। दू दिन धरि चलल निरीक्षण मे टीम सब विभागक जायजा लेलक आ संतुष्टि व्यक्त केलनि। निरीक्षण के बाद मधेपुरा डिग्री कॉलेजक मान्यता भेटबाक उम्मीद बढ़ि गेल अछि। उम्मीद कायल जा रहल अछि जे, जल्दिये नैक के टीम मान्यताक हरी झडी देखा देत।

    टीमक नेतृत्व निरीक्षण काजक नेतृत्व हिमांचल प्रदेश विवि के पूर्व कुलपति डॉ. सुनील गुप्ता कय रहल छलाह। टीमक दोसर सदस्य रांची स्थित स्वशासी-रांची वुमेंस कालेजक प्रधानाचार्य डॉ. मंजू सिन्हा छलाह। अहि महाविद्यालय मे स्थित 105 कंप्यूटरक निरीक्षण के क्रम मे डॉ. गुप्ता कहलनि जे, सब कंप्यूटर के इंटरनेट स जुड़ल राखु। सब कंप्यूटर के जांच कय ओ संतोष जाहिर केलनि।

    अहि दौरान प्रधानाचार्य डॉ. अशोक कुमार, डॉ. भगवान कुमार मिश्रा, डॉ. मुश्ताक मोहम्मद, मनोज भटनागर, हिनका संग छलाह। अहि के बाद टीम प्रशासनिक भवन जा कय ओतय महाविद्यालय के विभिन्न सहायक स पंजी संचारण व आंकड़ा विपत्रक जानकारी हासिल केलनि। बाद मे टीम प्रधानाचार्य डॉ. अशोक कुमार स विभिन्न मुद्दा पर विमर्श केलनि।

    प्रधानाचार्य कहलनि जे, नैक टीम अप्पन प्रतिवेदन जल्दिये देत आ उम्मीद अछि ज, दोसर कालेज जल्दिये नैक सं मान्यताक लेल सक्षम पाबि कय बेहतर श्रेणी मे सूचीबद्ध कायल जायत।