पटना, मिथिला मिरर: लालू प्रसाद यादव मंगलदिन अप्पन चर्चित अंदाज़ मे बाढ़ि पीड़ित के बुझबैत कहलनि ‘अहाँ सब भाग्यशाली छी, जे गंगा माइया अहाँ सबहक घर धरि पहुच गेली। सब गंगाजल के लेल कतेको दूर धरि जाईत छी, आ जहन गंगा मइया घर तक पहुँच गेली त डेरा गेलौ। खैर आब गंगा मइया के पूजा करु आ हुनका अप्पन तकलीफ कहियौन चलि जेती।’
बाढ़ि पीड़ितक हाल जनबाक लेल पीड़ितक बीच पहुँचल लालू स लोक शिकायत केलनि। पीड़ित सब लालू सं अप्पन दुखड़ा सुनबैत कहलनि जे, सब किछु समाप्त भय गेल। पूरा परिवार के ठीक सं भोजन नसीब नहि होइत अछि।
लालू यादव सब पीड़ित के सांत्वना दैत कहलनि जे, सब ठीक भय जेतय। सरकार इंतजाम के और बेहतर कय रहल अछि। सबके पूरा-पूरा मुआवजा भेटत। लालू यादव हंसी मे कहलनि जे, ई कोन तरीका भेल जे अहाँ सब गंगा मइया सं डेरा गेलहुँ। डेराउ नहि, ओ अप्पन बेटा-बेटी के दुःख नहि देती।


