एखनहु नाला आ शौचालय के किल्लत झेलि रहल बेनीपट्टी बाजार

    0
    299

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बेनीपट्टी के अनुमंडल बनलाक 34 वर्ष बादो अनुमंडल मुख्यालय के बेनीपट्टी बाजार मे सुविधाक घोर अभाव अछि। एक दिस जतय बाजार मे सुलभ शौचालय नहि अछि ओतहि दोसर दिस जलनिकासीक लेल सड़कक कात नाला के व्यवस्था नहि अछि। बाजार मे सड़कक एक कात बनल अधूरा नाला मुंह चिढ़ा रहल अछि।

    बेनीपट्टी बाजारक थाना चौक के निकट सुलभ शौचालय विगत ढाई दशक स उद्धारक के तलाश कय रहल अछि। सुलभ शौचालय के भवन जर्जर भय गेल अछि जहन कि सुलभ शौचालय मे गंदगीक अंबार व बदबू महामारीक खतरा उत्पन्न कय रहल अछि। बेनीपट्टी मुख्य बाजारक थाना चौक के समीप सुलभ शौचालय जर्जर व क्षतिग्रस्त भय बदहालीक दौर स गुजरि रहल अछि।

    सड़क कात बनल ई शौचालय गंदगीक पर्याय बनल अछि। सरकार एवं प्रशासन अहि बदहाल सुलभ शौचालय के चुस्त-दुरुस्त बनेबाक दिशा मे कोनो कारगर कदम नहि उठा रहल अछि। जनप्रतिनिधिक उदासीनता व लापरवाही के कारण ई सुलभ शौचालय बदहाली के दौर स गुजरि रहल अछि।

    सुलभ शौचालय के भवन क्षतिग्रस्त भय गेल अछि जहन कि मूत्रालय के हालत बदतर अछि। शौचालय मे गंदगीक अंबार रहला व बदबू देबाक कारण लोक के भारी परेशानीक सामना करय पडैत अछि।