कीर्ति आजादक पत्नी भेली ‘आप’ पार्टी मे शामिल

    0
    280

    नई दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भाजपा सं निलंबित सांसद कीर्ति आजाद’क पत्नी आ पार्टी’क तीन बेर राष्ट्रीय कार्यकारणीक सदस्य रहि चुकल पूनम आजाद रविदिन साँझ मे आम आदमी पार्टी मे शामिल भय गेलीह। दिल्ली के उपमुख्यमंत्री मनीष सिसौदिया आ अन्य वरिष्ठ नेताक उपस्थिति मे पूनम के आप मे शामिल हेबाक तुरंत बाद पार्टी कहलक जे, पूनम पंजाब मे आगामी विधानसभा चुनाव मे एकटा प्रमुख भूमिका निभेती।

    अहि अवसर पर पूनम कहलनि जे, हम आप मे युवाक लेल एकटा उज्ज्वल भविष्य देखलहू अछि। संगहि पूनम भाजपा छोड़बाक लेल वित्त मंत्री अरुण जेटली के जिम्मेदार ठहरेलनि आ कहलनि जे, बहुत बेर वादा करबाक बावजूद ओ हमरा टिकट नहि देलनि। अहि संग भ्रष्टाचार के खिलाफ आवाज उठेबा पर ओ हमर पति के सस्पेंड कय देलनि।

    अहि सं पहिने पूनम मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल सं भेंट केने छलीह। आप मे पूनम के स्वागत करैत उपमुख्यमंत्री मनीष सिसौदिया कहलनि जे, पूनम आम आदमी के अधिकारक लेल संघर्षक चैंपियन रहल छथि आ ओ लोकक मुद्दाक लेल लड़ैत छथि। आप के वरिष्ठ नेता संजय सिंह कहलनि जे, पूनम आगामी पंजाब विधानसभा चुनाव मे एकटा महत्वपूर्ण भूमिका अदा करतीह।