काली मंदिर सं सोना आ चांदी’क गहना चोरी

    0
    328

    दरभंगा, मिथिला मिरर: रैयाम थानाक वंशारा गाममे शुक्रदिनक राति चोर काली मंदिर एवं जयकुमार मिश्र उर्फ जीवन मिश्रके घरमे चोरीक घटनाकेँ अंजाम देलक। अहि वारदातमे चोर 61 हजार 5 सौ नगद समेत मां कालीक सोनाक मुकुट, सोनाक नथिया, चांदी’क एकटा छोट मूर्ति आ पचीस टा कीमती साड़ी चोरी कय भागि गेल।

    सूचना भेटला पर पहुंचल थानाध्यक्ष पवन कुमार घटनास्थलकें जायजा लैत मामलाक छानबीन शुरू कय देलनि अछि। बताओल जा रहल अछि जे, चोर गाममे स्थित काली मंदिर परिसरकें घेराबंदी कूदिकए प्रांगणमे प्रवेश केने छल। अहिक बाद गर्भगृह’क ताला तोड़िकए मां कालीक प्रतिमा पर लागल सोनाक मुकुट, सोनाक नथिया, सोनाक हार आ चांदीक छत्री, दू जोड़ा पायल, मां कालीक चांदीक मूर्ति, पचीस टा कीमती साड़ी चोरी कय लेलक।

    मंदिरक पुजारी व ग्रामीण पंडित हर्षित नारायण झा कहलनि जे, चोरी कएल गेल सामानक कीमत करीब चारि लाख रुपैया अछि। शनिदिन भोरमे करीब पांच बजे जहन पुजारी मंदिर पहुंचल त गर्भगृहक ताला टूटल छल।