समाचार कवर करबाक दौरान पैर पिछड़ला सं पत्रकार’क मौत

    0
    304

    गया, मिथिला मिरर: पत्रकारक काज होइत अछि कोनो भी परिस्थितिमे समाचारकें आम जनमानस धरि पहुंचेनाइ। अहि क्रममे कखनो-कभार पत्रकारकेँ अप्पन जान सेहो जोखिममे देबय पड़ैत अछि। एहने एकटा घटना गयाकेँ एकटा पत्रकारक संग भेल। एकटा दैनिक अख़बारमे काज करय वला मिथिलेश कुमार सिन्हाकें  समाचार कवर करबाक दौरान सीढ़ि पर सं पैर पिछड़ि गेलनि, आ ओ खसि पड़लाह। जाहि सं हुनकर माँथमे चोट लागि गेलनि। आनन-फ़ाननमे हुनका मगध मेडिकल कॉलेज हॉस्पिटल आनल गेल। जकरा बाद हुनका पीएमसीएच रेफ़र कय देल गेल। जतय डॉक्टर हुनका मृत घोषित कय देलक।

    अख़बारक ब्यूरो हेड कमलनयनकें अनुसार मिथिलेश कुमार सिन्हा पिछला दस वर्ष सं दैनिक जागरण सं मानपुर प्रखंडक रिपोर्टर छलाह। प्रखंडके ख़ंजहांपुरमे होलीके अवसर पर एकटा समाचार कवर करबाक दौरान ई हादसा भेल। विष्णुपदमे उनकर अंतिम संस्कार कएल गेल। लगभग 40 वर्षीय मिथिलेश कुमार सिन्हा अप्पन पाछु पत्नी आ तीनटा बच्चाकें छोड़ि गेलाह। हुनकर मृत्यु’क समाचारकेँ बाद पत्रकार जगतमे शोक व्याप्त अछि।