होमगार्ड’क जवान 28 अप्रैल सं करत जेल भरू अभियानक शुरुआत

    0
    297

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: आब हड़ताली होमगार्ड जवान 28 मार्च कए पटनामे आक्रोश मार्च निकालि कय जेल भरू अभियान चलाओत। अहि संबंधमे जवान सब एकटा विज्ञप्ति जारी केलक अछि। अहि संबंधमे सीतामढ़ी डीएम, एसपी व गृह रक्षा वाहिनीक समादेष्टाकें पत्र लिखल गेल अछि। पत्रमे लिखल अछि जे, 28 मार्च साढ़े 12 बजे दिन सं पटनाक संजय गांधी स्टेडियम, गर्दनीबागमे उपस्थित भए आक्रोश मार्च निकालब।

    अहिकें बाद तीन बजे धरना स्थल पर पहुंचिकय जेल भरू अभियान चलाओल गेल। बिहार गृह रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघक बैनर तर शनिदिन डुमराक अंबेदकर स्थल पर धरना-प्रदर्शन केलक। धरना कार्यक्रमक नेतृत्व अध्यक्ष रामेश्वर सिंह, सचिव श्याम सिंह आ कोषाध्यक्ष घनश्याम प्रसाद केलनि।

    ओम्हर, होमगार्ड जवानक हड़तालकें शहरक ट्रैफिक व्यवस्था पर खराप असर पड़ि रहल अछि। शनिदिन शहरक बहुतो चौक-चौराहा पर जाम देखल गेल। शहरक मेहसौल चौक, कारगिल शहीद चौक आ डुमरा सड़क पर जाम सं सेहो पुलिसक जवानकें जुझैत देखल गेल अछि।