बिहार मे शराबक धंधा मे संलिप्त दस गोट थाना प्रभारी दस सालक लेल निलंबित

    0
    279

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक शराब बंदी अभियानक अंतर्गत कायल जा रहल निरंतर कार्यवाहीक सराहना दूर-दूर धरि होईत रहल अछि। प्रदेश मे पूर्ण शराब बंदी पर नीतीश कुमारक बेर-बेर देल गेल बयान हुनक दृढ़ताक दरसेबाक लेल पर्याप्त मानल जा रहल अछि। अहि बीच आय बिहार मे शराब बंदीक अंतर्गत चलाओल जा रहल अभियान मे दस गोट थाना प्रभारी के निलंबित कय देल गेल।

    सूत्रक अनुसार थाना प्रभारी के शराबक गोरखधंधा मे संलिप्त पाओल गेल छल। जाहि कारने थाना प्रभारी के अगिला दस साल धरि अहि पद स निलंबित राखल जायत। ज्ञात हो कि नीतीश कुमार शराब बंदी के पूर्ण रूपे सफल बनेबाक लेल हालहिं मे संपन्न भेल मानसून सत्रक दौरान मौजूद कानून मे संसोधनक प्रस्ताव लाबि कय पारित कयने छलाह। जाहि स बिहार मे पूर्ण शराब बंदी के अधिक मजबूत बनाओल जा सकय।