समस्तीपुरमे प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी सहित तीन गोटे सं स्पष्टीकरण मंगलनि जिलाधिकारी

    0
    276

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्वास्थ्य विभागक समीक्षात्मक बैसकमे बुधदिन जिलाधिकारी सख्त छलाह। अप्पन कर्तव्य एवं दायित्वके प्रति लापरवाही बरतबाक कारण खानपुरके प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी तथा विद्यापतिनगर, हसनपुरके लेखापाल सं स्पष्टीकरण पूछलनि। जिलाधिकारी कहलनि जे, वित्तीय वर्ष समाप्ति पर अछि, ताहि दुआरे सब प्रखण्डक प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी अप्पन-अप्पन कार्यालयमे विभिन्न मदमे उपलब्ध राशिकें मरीजक सुविधाक लेल शीघ्र खर्च करथि।

    ओ कहलनि जे, स्वास्थ्य विभागक संचालित योजना एवं कार्यक्रमकें जन-जन धरि प्रचारित प्रसारित करू आ बेहतर स्वास्थ्य सेवा बहाल करबाक लेल जनहितमे सतत एवं प्रभावी मॉनिटरिंगकें व्यवस्था जिला, प्रखंड एवं पंचायत स्तर पर सुनिश्चित करु। ओ कहलनि जे, पीड़ित मानवताक सेवा सच्चा सेवा अछि। अहि दुआरे सब डॉक्टर मरीजक प्रति संवेदनशील भय बेहतर स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध कराउ।

    जिलाधिकारी राष्ट्रीय अंधापन नियंत्रण कार्यक्रम, राष्ट्रीय कुष्ठ निवारण कार्यक्रम, राष्ट्रीय टीवी नियंत्रण कार्यक्रम, फाईलेरिया, ब्लड बैंक, एड्स, मलेरिया, नियमित टीककरण, संस्थागत प्रसव, सिजेरियन प्रसव, आउटडोर इंडोर मरीजक स्थिति, दवाईकें उपलब्धता, डॉक्टरक उपस्थिति, आशाक सक्रियता आदि बिदु पर समीक्षा कय आवश्यक निर्देश देलनि।