बाल कवि’क प्रस्तुति पर मन्त्र मुग्ध भेलाह श्रोता

    0
    321

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: उत्कर्ष कला मंचक दिस सं नॉर्थ बिहार चैम्बर ऑफ कॉमर्स सभागार मे आयोजित बाल कवि सम्मेलन सह सम्मान समारोह मे बाल कविक प्रस्तुति पर लोक मुग्ध भय गेलाह। अहि मे शहरक विभिन्न विद्यालय के अस्सी प्रतिभागि भाग लेने छल। जकरा दू ग्रुप मे बांटल गेल छल।

    ग्रुप ए मे कक्षा तीन स सात तक के बच्चा के राखल गेल छल। जकरा कोनो कवि द्वारा रचित कविताक पाठ करबाक छल। बरौप बी मे कक्षा आठ स बारह तक के छात्र-छात्रा शामिल छल। जकरा स्वरचित कविता पाठ करबाक छल।

    ग्रुप ए स प्रथम पुरस्कार भाग्य लक्ष्मी, द्वितीय पुरस्कार अदिति वत्स आ तृतीय पुरस्कार श्रुति नारायण के भेटल। ग्रुप बी स प्रथम पुरस्कार सिद्धि सुमन, द्वितीय पुरस्कार साक्षी आ तृतीय पुरस्कार शिवानी के देल गेल।