घनश्याम ठाकुर बनाओल गेलाह भाजपाक मधुबनी जिलाध्यक्ष

    0
    325

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: घनश्याम ठाकुर के मधुबनी जिला के भाजपाक जिलाध्यक्ष मनोनीत कायल गेल। अहि खबरि के अधिकृत घोषणा प्रदेश नेतृत्व द्वारा कायल गेल। ठाकुर के चारिम बेर जिला भाजपाक अध्यक्ष चुनल गेल अछि। हिनक मनोनय सं पार्टीक नेता तथा कार्यकर्ता मे खुशीक लहरि  अछि, कार्यकर्ता लोकनि प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय तथा बिहार प्रभारी भूपेंद्र यादव के साधुवाद देलनि।