मुजफ्फरपुरमे नकली पान मसाला फैक्ट्री’क खुलासा

    0
    309

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नगर थाना पुलिस मंगलदिन दुपहरमे छोटी कल्याणी मुखर्जी सेमिनरी रोड स्थित एकटा घरमे चलि रहल नकली पान मसाला (गुटखा) फैक्ट्रीक पर्दाफाश केलक अछि। घर सं लगभग अस्सी टा बोरामे राखल तैयार शिखर व पांच हजार ब्रांडके पान मसालाक पैकेट बरामद कएल गेल।

    अहिकें अलावा पैकिंग व पंचिंग करय वला चारि टा मशीन, लगभग दस कार्टूनमे राखल सिगरेटक पैकेट व अन्य सामान जब्त कएल गेल अछि। घर सील कय देल गेल अछि। जदयू नेता निरंजन रायकें अहि मामलामे पूछताछक लेल हिरासतमे लेल गेल अछि।

    कानपुर सं आएल शिखर पान मसाला कंपनीक कर्मीक शिकायत पर नगर थानेदार केपी सिंह पुलिस टीमके संग कार्रवाई केने छल। कंपनीकेकर्मीकें अनुसार कंपनीक नाम नकल कय पान मसाला बेचल जा रहल अछि। जांचके दौरान स्पॉट पर कोनो तरहक कागजात नहि प्रस्तुत केलाक बाद मकान सं पान मसालाक पैकेट व अन्य सामान जब्त कएल गेल।