कुलभूषण जाधवकें समर्थनमे पूर्व सैनिकक प्रदर्शन

    0
    344

    दरभंगा, मिथिला मिरर: नौ सेनाक अधिकारी कुलभूषण जाधवकें समर्थनमे पूर्व सैनिक रविदिन पाकिस्तानक खिलाफ प्रदर्शन केलनि। पूर्व सैनिक सेवा परिषदके बैनर तर पूर्व सैनिक पाकिस्तानके खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलनि। पाकिस्तान मुर्दाबाद, नवाज शरीफ होशमे आओ, कुलभूषण को रिहा करो आदि नारा लगबैत सैनिक प्रदर्शन करैत समाहरणालय धरना स्थल तक पहुंचलाह।

    मौका पर भेल सभाकें पूर्व कमांडर लियाकत अली संबोधित करैत कहलनि जे, कुलभूषण जाधव निर्दोष छथि, पाकिस्तान सैन्य अदालत कुरर्तापूर्वक हुनका फांसीक सजा सुनेलक अछि। यदि जाधव पर लगाओल गेल आरोप सत्य अछि त पाकिस्तान सरकार आरोप पत्रक खुलासा कियैक नहि करैत अछि।

    ओ कहलनि जे, पाकिस्तान सरकार आरोप पत्रक खुलासा करए अन्यथा अंतर्राष्ट्रीय अदालतमे मामलाकें पेश करए आ निर्णयके एबा धरि प्रतीक्षा करए। कैप्टन चंद्रशेखर सिंह पाकिस्तान सरकार सं मांग करैत कहलनि जे, जाधवकें वर्तमान स्थिति की अछि एकर जानकारी अविलंब भारत सरकारकें देल जाए।