पांच टा महिला नदी मे डूबली, तीन गोटेक मौत

    0
    275

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहार के सुपौल जिला के सदर प्रखंड क्षेत्र मे शनिदिन नदी मे डूबला सं तीन टा महिलाक मौत भय गेल। पुलिस के अनुसार, पलासपुर गामक पांच महिला मवेशी के लेल चारा अनबाक लेल कुहली नदी पार कय रहल छल। अहि दौरान तीन टा महिला नदीक तेज धार मे बहि गेल।

    पुलिस के एक अधिकारी के अनुसार मृतकक पहचान इंदु कुमारी, रुक्मिणी देवी आ सरस्वती देवी के रूप मे कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, दू टा अन्य महिला मालती देवी आ स्वर्ण देवी के ग्रामीण डूबय सं बचा लेलक, जकर इलाज सदर अस्पताल मे चलि रहल अछि।

    घटनास्थल पर पहुंचल ऊर्जा मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव मृत महिला के परिजन के चारि-चारि लाख रुपैयाक आर्थिक मददि देबाक घोषणा केलनि।