प्रबोध सम्मान सं सम्मानित भेलाह डॉ गंगेश गुंजन

    0
    312

    दिल्ली, मिथिला मिरर: सुप्रसिद्ध वरिष्ठ साहित्यकार ‘डॉ गंगेश गुंजनकें’ शनिदिन दिल्ली’क विष्णु दिगंबर मार्ग स्थित हिंदी भवन सभागारमे आयोजित भव्य समारोहमे मैथिली साहित्यक सर्वोच्च साहित्य पुरस्कार ‘प्रबोध साहित्य सम्मान 2017’ सं सम्मानित कएल गेल।

    समारोहक अध्यक्षता भारतीय भाषा संस्थानक पूर्व निदेशक प्रो. उदय नारायण सिंह केलनि। मुख्य अतिथिकें रूपे प्रख्यात आलोचक आ जवाहर लाल नेहरू विश्वविद्यालयकें पूर्व अध्यापक प्रो. मैनेजर पाण्डेय उपस्थित छलाह। संगहि मंच संचालन जवाहर लाल नेहरू विश्वविद्यालयकें अध्यापक प्रो. देवशंकर नवीन द्वारा कएल गेल।

    साहित्यकार गंगेश गुंजनकें पुरस्कार रूपे एक लाख टाका नगद आ प्रशस्ति पत्र देल गेलन्हि। मूल रुप सं  मधुबनीक पिलखवाड़ गामक निवासी डॉ गंगेश गुंजनकें साहित्य अकादमी सम्मान सं पहिनहि सम्मानित कायल जा चुकल छन्हि।