दरभंगा, मधुबनी आ जयनगर सहित चारि गोट रेलवे स्टेशन पर होयत पर्यावरण अनुकूल शौचालय के निर्माण

    0
    325

    पटना, समस्तीपुर मिथिला मिरर: पूर्व मध्य रेलवे के समस्तीपुर मंडलक अन्तर्गत आबय वला चारि टा प्रमुख स्टेशन पर पर्यावरण अनुकूल नम्मा शौचालय के निर्माण होयत। मुख्य जनसंपर्क अधिकारी अरविन्द कुमार रजक के अनुसार समस्तीपुर मंडल के चारि स्टेशन पर विशेष प्रकारक पर्यावरण अनुकूल नम्मा शौचालय स्थापित करबाक लेल सीएसआर के तहत समस्तीपुर मंडल एवं पावर ग्रिड कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया लिमिटेड के बीच समझौता भेल अछि।

    समझौता के तहत सीतामढ़ी, जयनगर, मधुबनी एवं दरभंगा स्टेशन पर विशेष शौचालय स्थापित करबाक प्रस्ताव अछि। ओ कहलनि जे, अहि के निर्माणक लेल निधि के उपलब्धता पावर ग्रिड द्वारा कायल जायत, जहन कि निर्माण कार्य रेलवे के देखरेख मे होयत।