मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दरबार लगाकय सुनताह महागठबंधन के कार्यकर्ता’क दर्द

    0
    376

    पटना, मिथिला मिरर: महागठबंधन के तीनू पार्टि मे बेहतर तालमेलक लेल नव स्तर सं प्रयास कायल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महागठबंधन के कार्यकर्ता के दरबार लगाबय जा रहल छथि। सूत्रक अनुसार सब महिनाक अंतिम सोमदिन मुख्यमंत्री कार्यकर्ताक दर्द सुनताह। अहि बातक जानकारी स्वं उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव देलनि।

    तेजस्वी यादव कहलनि जे, तीनू पार्टी कार्यालय स कार्यकर्ताक लिस्ट नीतीश कुमार लग जा रहल अछि आ ओहि लिस्टक अनुसार मुख्यमंत्री कार्यकर्ताक फरियाद सुनताह। अहि दौरान महागठबंधन के पैघ नेता सब सेहो मौजूद रहताह।

    उपमुख्यमंत्री कहलनि जे, अहि संबंध मे जल्दीये तारीखक घोषणा कायल जायत। ओ कहलनि जे, बेहतर तालमेल के लेल पहिने सेहो तीनू पार्टिक अध्यक्षक एक संग प्रेस कांफ्रेंसक बात पर सहमति बनने छलाह।