शहाबुद्दीन मामला मे राज्यपाल के ज्ञापन दय राजग केलक सीसीए लगेबाक मांग

    0
    265

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक वर्तमान महागठबंधन सरकार के घेरैत राजग सोमदिन प्रदेश के राज्यपाल रामनाथ कोविंद के ज्ञापन सौंपिकय शहाबुद्दीन पर अपराध नियंत्रण कानून (सीसीए) लगेबाक मांग केलक अछि।

    पूर्व उपमुख्यमंत्री आ भाजपा के वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी के नेतृत्व मे राजग के एकटा शिष्टमंडल नौ बिंदु बला एकटा ज्ञापन सौंपिकय शहाबुद्दीन पर सीसीए लगेबा के संग विभिन्न मामला मे जेल पठेबाक मांग केलक।

    भाजपा के प्रदेश कार्यालय मे पत्रकार के संबोधित करैत सुशील मोदी कहलनि जे, हम सबी राज्यपाल के शहाबुद्दीन के छोडबाक सच्चाई स अवगत करौलियनि आ शहाबुद्दीन पर सीसीए लगेबाक मांग केलियनि। ओ कहलनि जे, राज्यपाल हमर सबहक बात सुनलाक बाद भरोसा देलनि जे संवैधानिक दायरा के अनुसार अहि पर गौर कायल जायत।