मधुबनी’क छात्रा के पटना मे संदेहास्पद स्थिति मे मौत

    0
    380

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना मे रहि कय मेडिकल परीक्षाक तैयारी करय वाली मुस्कान नामक एकटा छात्रा छत पर सं कूदि कय आत्म्हत्या कय लेलनि। जानकारीक अनुसार मृतक छात्रा मधुबनी के रहय वाली छली। छात्रा कोचिंग सेंटर आकाश मे रहि कय पढ़ाई करैत छली।

    स्थानीय लोकक अनुसार छात्रा अप्पन हाॅस्टलक छत स छलांग लगा लेलनि। उम्हर घटनाक जानकारी के बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुंच कय मामलाक जांच कय रहल अछि। हांलाकि एखन धरि आत्महत्या करबाक पाछु  के कारण नहि पता चलि सकल अछि।