समस्तीपुरमे दोकान सं घर जा रहल व्यवसायी लापता, अपहरणक आशंका

    0
    300

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे एकटा व्यवसायी 24 घंटा सं लापता अछि। व्यवसायीकें परिजन अपहरणक आशंका जतेलक अछि। घटना जिलाकें मोहनपुर ओपीकें पत्थर घाटक अछि। लापता व्यवसायीके परिजनक अनुसार सबदिन जेना व्यवसायी त्रिभुवन साह उर्फ़ टुनटुन साह पत्थर घाट स्थित दोकान सं मोहनपुर डीह अप्पन घर जा रहल छल। मुदा जहन ओ घर नहि पहुंचल त परिवारक लोक सब खोजबीन शुरू केलक।

    अहिकें बाद मोबाइल सेहो स्विच ऑफ बताबय लागल। जाहि कारने परिजन आब अपहरणक आशंका जता रहल अछि। घटना सं आक्रोशित लोक महनार-मोहद्दीन नगर पथकें जाम कय देलक। घटनाक सूचना पर घटनास्थल पर पहुंचल पुलिसकें लोक सब बैरंग वापस कए देलक आ वरीय अधिकारीकें बजेबाक मांग करय लागल। बादमे स्थानीय जनप्रतिनिधी आ पुलिसक आश्वसनक बाद जाम समाप्त कराओल गेल।

    फिलहाल लापता व्यवसायी त्रिभुवन साह’क भाईकें बयान पर मोहनपुर ओपीमे मामला दर्ज कराओल गले अछि। फिलहाल पुलिस मामलाक पड़ताल कय रहल अछि।