समस्तीपुर मे बजार सं वापस आबि रहल युवक के गोलि मारि कय हत्या

    0
    329

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे अपराधक वारदात लगातार बढिए रहल अछि। जिलाक पटोरी थाना क्षेत्र मे बुधदिन देर राति एकटा युवकक हत्या कय देल गेल। मोहनपुर के मोहिउद्दीन नगर महनार पथ के बोथ पुलक समीप दू टा मोटरसाइकिल पर सवार चारि गोट अपराधी हाजीपुर सं मोहिउद्दीन नगर आबि रहल सुनील सिंह नामक युवक के गोली मारिकय हत्या कय देलक। मृतक युवक मोहिउद्दीन नगरक आनंद गोलवा गामक रहय वला छल।

    सूचना भेटला पर पहुंचल पुलिस मृतकक मोटरसाइकिल आ मोबाइल बरामद केलक अछि। फिलहाल घटनाक कारण स्पष्ट नहि भय सकल अछि। पुलिस लहास के जब्द कय मामलाक जांच मे जुटल अछि।

    हत्याक अहि घटना के बाद क्षेत्र मे दहशतक माहौल बनल अछि। पटोरी डीएसपी कहलनि जे, एकटा व्यक्ति जे मृतक के मोटरसाइकिलक पाछु बैसल छल ओ वारदात के बाद स फरार अछि, जकर तलाश पुलिस कय रहल अछि।