भागलपुर मे ट्रैक्टर शो-रूम संचालक पर बम सं हमला

    0
    288

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर मे अपराधीक कहर एकटा व्यवसायी पर बरसल। शहर के अलीगंज मे दिनदहाड़े दू गोट अपराधी आर्यन ट्रैक्टर शोरूम के मालिक मधुसूदन कुमार पर बम फेंककय जानलेवा हमला केलक।

    अहि हमला मे व्यवसायी बाल-बाल बचि गेलाह। हमला करय वला दू गोट युवक मे सं एकटा युवक के स्थानीय लोक पकड़ि लेलक आ जमि कय पिटाई कय पुलिस के हवाले कय देलक। मौका पर पहुंचल पुलिस दू टा जिन्दा बम बरामद केलक अछि।

    पिटाई सं जख्मी युवकक इलाज मायागंज अस्पताल मे करोल जा रहल अछि, जतय ओकर हालत चिन्ताजनक बनल अछि। व्यवसायी पर हमला के बाद सं इलाका मे दहशतक माहौल अछि। फिलहाल घटना के कारणक पता नहि चलि सकल अछि। पुलिस मामलाक पड़ताल मे जुटल अछि।