मंत्रिमंडलक बैसार मे तीनटा नव विभाग बनेबाक प्रस्ताव पर सहमति

0
97

मिथिला मिरर, पटनाः बिहार सरकार प्रशासनिक व्यवस्था केँ अधिक दुरुस्त करबाक उद्देश्य सँ तीनटा नवका विभाग गठन करबाक घोषणा कएलक अछि। पहिल ‘सामाजिक कल्याण महिला शिशु सुरक्षा’, दोसर ‘ग्रामीण अवसंरचना आ स्थानीय निकाय विकास’ आ तेसर अछि ‘शिक्षा कौशल विकास योजना’। सरकारक अनुसार, एहि विभाग सभक निर्माण सँ व्यवस्था मे पारदर्शिता आ काजक गति मे तेजी आयत। बिहार सरकारक ई महत्वपूर्ण निर्णय अछि। मंत्रिमंडलक बैसार मे तीनटा नव विभाग बनेबाक प्रस्ताव पर सहमति देल गेल।
एहि विभाग सभक मुख्य उद्देश्य विभिन्न क्षेत्र मे विकासक कार्य तेज करबाक, जनसुबिधाक विस्तार करबाक आ प्रशासनिक काजक विभाजन करब अछि। पहिल विभाग सामाजिक कल्याण आ महिला-शिशु सुरक्षा संबंधी योजनाक समन्वय करबाक जिम्मेदारी लेत आ बजट प्रबंधन जमीनी स्तर तक योजना क्रियान्वयन पर ध्यान देत। दोसर विभाग ग्रामीण अवसंरचना आ स्थानीय निकाय विकास पर केंद्रित रहत। सड़क, पानि, सिंचाई आ पंचायत स्तरक परियोजनाक गति बढ़ेबाक हेतु एहि विभागक गठन कएल गेल अछि। तेसर विभाग शिक्षा, कौशल विकास आ युवा कार्यक्रम सभक समन्वय करबाक दायित्व लेत आ नवका प्रशिक्षण केंद्र खोलबाक संग रोजगारपरक योजना चलबय पर जोर देत। तीनटा नव विभागक गठन सँ प्रशासनिक दक्षता बढ़त आ जनता तक सेवाक सीधा लाभ पहुचत। किछु जानकार कहैत छथि जेँ नवका विभाग सभ सँ काज तेजी सँ होएत, मुदा ओहि सँ अतिव्यापी विभागक समस्या सेहो दूर होयबाक चाही। सरकारक दावा अछि जे एहि डेग सँ बिहारक विकास कार्य मे तेजी आयत। एखन नजरि रहत जे नवका विभाग वास्तविक रुपेँ धरातल पर कतेक प्रभावी होइत अछि। की सरकार एहि विभाग सभक गठन एक करोड़ रोजगार देबाक अपन घोषणा केँ पूरा करबाक लेल कयलक अछि?