शहीद विकास मिश्र’क परिजन के सांत्वना देबाक लेल रैयाम पहुँचलाह मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

    0
    323

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जम्मू-कश्मीर मे मातृभूमिक रक्षाक लेल शहीद भेल मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंडक रैयाम गाम निवासी विकास कुमार मिश्र’क परिजन सं बुधदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार भेंट कय सांत्वना देलनि। संगहि मुख्यमंत्री शहीद विकास कुमार मिश्र’क चित्र पर माल्यार्पण कय श्रद्धा-सुमन अर्पित केलनि।

    ज्ञात हो कि मुख्यमंत्री अप्पन निश्चय यात्राक दौरान बुधदिन मधुबनी जिलाक दौर पर छलाह। जतय मुख्यमंत्री लौफा पंचायत मे कार्यक्रम के संबोधित केलाक उपरान्त सीधा झंझारपुर के रैयाम गाम आबि कय शहीदक परिजन’क संग दुःख बटलनि।