आधा रातिमे अस्पतालक औचक निरीक्षण केलनि प्रखंड प्रमुख

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक केवटी प्रखंडक प्रखंड अधिकारी मो. तौकीर हासमी आ सीओ संतोष कुमार सुमन सोमदिन राति मुख्यालय स्थित सामुदायिक चिकित्सा केंद्र रनवें-केवटी’क औचक निरीक्षण केलनि। रात्री’क 11:15 बजे अस्पतालमे पहुंच अधिकारी निरीक्षण केलनि, जाहि क्रममे सर्व प्रथम सुरक्षा व्यवस्था’क स्थिति’क जायजा लेल गेल। सुरक्षा’क लेल तैनात होमगार्डक जवानकें हड़तालमे जेबाक बात कहल गेल।

    ओतहि चिकित्सक आ कर्मीक खोज खबरि सेहो लेल गेल। रोस्टरके अनुसार चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. विनोद कुमार सिंह व एएनएम हीरा कुमारी तथा स्तुति कुमारी अपन-अपन डियूटी पर मौजूद छलाह। अहि दौरान ओ प्रसवके लेल भर्ती महिलाक परिजन सं अस्पताल सं भेटय वला सुविधाक वाबत सेहो जानकारी लेलनि।