बेगूसराय मे लाखो रुपैयाक अष्टधातु’क मूर्ति चोरी

    0
    314

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय जिलाक खोदाबंदपुर थाना क्षेत्र मे एकटा मठ सं चोर रविदिन राति मे अष्टधातुक दू टा मूर्ति चोरा लय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार खोदाबंदपुर गाम स्थित द्वारिका मठ मे राति चोर मुख्य दरवाजा पर लागल ताला के तोड़ि कय राम तथा सीता’क अष्टधातु के मूर्ति चोर लेलक।

    सूत्रक अनुसार चोरी कायल गेल मूर्तिक वजन लगभग 15 किलोग्राम छल। चोरिक अहि घटना के बाद ग्रामीण द्वारा पुलिस के सूचित कय देल गेल अछि। सूत्रक अनुसार पुलिस अज्ञात चोर के खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कय मामलाक छानबीन कय रहल अछि।