मुजफ्फरपुरमे होली सं पहिने पकड़ल गेल डेढ़ करोड़क शराब

    0
    298

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुरमे उत्पाद विभागक टीम बहुत पैघ कामयाबी हासिल करैत डेढ़ करोड़ रुपैयाक शराब बरामद केलक अछि। तस्कर पानि टैंकलॉरी आ ट्रैक्टरके सहारे हरियाणा सं शराबक खेप बिहार आनि चुकल छल। होली सं ठीक पहिने मुजफ्फरपुरमे उत्पाद विभागक ई पैघ कार्रवाई भेल अछि।

    उत्पाद विभागक टीम करीब तीन सौ कार्टून शराब आ बीयर बरामद केलक अछि। सकरा थाना क्षेत्रक मोहनपुर इलाकामे छापेमारीमे शराबक ई खेप पकड़ल गेल अछि। शराब माफिया पुलिस आ उत्पाद विभाग सं बचबाक लेल ट्रैक्टर आ पानि टैंकलॉरीमे हरियाणा सं शराबक खेप अनने छल।

    होलीमे शराबक मांगकें देखैत पैघ मुनाफा पर शराबकें बेचबाक योजना छल। मुजफ्फरपुरमे शराब तस्करीके दू दर्जन सं अधिक मामलामे नामजद भेल अजय झा उर्फ बबुआक़े अहि घटनामे फेर नाम आएल अछि।

    मौका सं तीन शराब माफिया समेत चालक सेहो भागबामे सफल रहल। होली सं पहिने आ पिछला एक पखवारा सं लगातर मुजफ्फरपुरमे हरियाणा सं पठाओल गेल शराब पैघ मात्रामे पकड़ल जा रहल अछि। होलीकें लय उत्पाद विभाग सतर्कता बढ़बैत कारवाई तेज केलक अछि।