दरभंगा मे वायु सेना केन्द्र के कराओल

    0
    286

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा मे रविदिन वायु सेना केन्द्र दरभंगा के प्रतिबंधित क्षेत्र तथा राष्ट्रीय सुरक्षा के अतिक्रमित जमीन के स्थानीय प्रशासन मुक्त करवा लेलक। बताओल जा रहल अछि जे, वायुसेना सेना केन्द्र स सटल तथा दरभंगा जयनगर एन एच 105 के बेहटवारा गाम स्थित सड़कक कात मे झोपड़पट्टी के सेहो खाली कराओल गेल अछि।

    ज्ञात हो कि स्थानीय प्रशासन दिस सं सीओ संतोष कुमार सुमन, थानाध्यक्ष हरेन्द्र कुमार तथा वायु सेना केन्द्र के विंग कमांडर डीके सिंह आ अतिक्रमणकारी के बीच 3 सितंबर क भेल वार्ता के दौरान अतिक्रमण के 6 सितंबर तक खाली करबाक आश्वासन देल गेल छल, मुदा अतिक्रमणकारी जमीन खाली नहि केलक।

    अंततः मजबूरन प्रशासन के उक्त कार्रवाई करय पड़ल। विंग कमांडर डीके सिंह कहलनि जे, जमीन वायु सेना केन्द्रक अछि तथा राष्ट्रीय सुरक्षाक दृष्टिकोण स एकरा मुक्त करेनाई आवश्यक छल।