मानव श्रृंखला मे शामिल हेबाक आह्वान

    0
    253

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जदयू विधानसभा संगठन प्रभारी कारी साहू के नेतृत्व मे आगामी 21 जनवरी क मद्य निषेध अभियानक अन्तर्गत शराबबंदीक समर्थन मे मानव श्रृंखला मे भाग लेबाक लेल प्रभातफेरी निकालल गेल। संस्थानक सैकड़ो बच्चा पुरान चौक, हॉस्पीटल रोड, प्रखंड मुख्यालय चौक होईत विभिन्न मार्ग सं फेरी निकालि कय आमजन सं मानव श्रृखला मे अत्यधिक भागीदारी सुनिश्चित करबाक अपील केलनि।

    अहि दौरान शराबबंदीक समर्थन मे नारा लिखल तख्ति लय बच्चा नारा लगा रहल छल। प्रभातफेरी मे बच्चा के संग नगर उपाध्यक्ष महेश प्रसाद साह, जदयू के प्रखंड अध्यक्ष सौरभ कुमार साहेब, सपना कुमारी, काजल कुमारी, सुमन झा, अनिल कुमार, निक्की भारती, नेहा कुमारी, रिया पाण्डेय, प्रो. आनंद कुमार, कमलेश कुमार, सुनील कुमार, ई. अमलेश कुमार सहित दर्जनो अभिभावक शामिल छलाह।