ट्यूशन पढ़य जा रहल लड़की के अपहरण

    0
    398

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक जिलाक हरलाखी थाना अंतर्गत हटवरीया गाम मे कोचिंग पढ़बा के लेल जा रहल एकटा लड़कीक अपहरण के मामला प्रकाश मे आओल अछि। लड़की के पिता’क बयानक आधार पर उमगांव के रहनिहार गुड्डू यादव, धनिक लाल यादव सहित तीन गोटे पर प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि।

    लड़की के पिता’क अनुसार तीनू आरोपी द्वारा लड़की के अपहरण ओहि समय कायल गेल जहन लड़की पढ़बाक लेल घर स उमगांव जा रहल छली। थानाध्यक्ष संजय कुमार कहलनि जे, लड़की के पिता’क बयान के आधार पर प्राथमिकी दर्ज कय लड़की के बरामदगी के लेल छापेमारी शुरू कायल गेल अछि।

    फोटो काल्पनिक