मधुबनी,मिथिला मिरर-रविन्द्र कुमार दासः कपकपाइत हाथ, थरथराइत डेग मुदा अहि उमेर मे सिमरिया सं गंगाजल लए बाबा उगनाकें दरबारमे आबि हुनका जल चढ़ेवाक जे दृश्य उगना बाबाक स्थानमे भेटल ओकरा बाद बहुतो गोटे इ सोचवा पर मजबूर भए गेलाह जे बाबामे जौं आस्था हो त कोनो कार्य बहुत सरलता सं कैल जा सकैत अछि।
साउनक दोसर सोमवारी कऽ इ वृद्धा बाबा उगनाकें सिमरिया सं जल आनि चढ़ौलनि एतबे नहि ओहि समस्त लोकक मुंह से बन्न कय देलीह जे इ कहैत छथि जे सिर्फ युवा वर्ग कोनो काज कें कए सकैत छथि। अहि उम्रमे एतेक दूर पैदल चलि बाबाक दरबारमे पहुंचब बहुत बेसी करेजगर लोकक काज होइत छैक मुदा ओकरा सत्य करैत इ वृद्धा अहि बातकें सेहो एक बेर जगजियार कए देलीह जे बाबामे जौं आस्था हो त भक्ति भावसं केहनो मुसिबत कें सहज रूपसं पार पैल जा सकैछ।


