मधुबनी के मधवापुर मे विकास योजनाक लेल नाराजगी

    0
    274

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के मधवापुर प्रखंड मुख्यालय अवस्थित मधवापुर पंचायतक बहुतो विकास योजनाक वर्षो स अधूरा रहबा एवं अनियमितता स पंचायत वासी आक्रोशित छथि। हालत एतेक ख़राब अछि जे, काज करा रहल योजनाक अभिकर्ता काज अधूरा छोड़ि एक वर्ष सं फरार अछि। ओतहि विभागीय पदाधिकारी के शिथिलताक कारण पिछला एक वर्ष स पंचायतक बहुतो योजना अधूरा पड़ल अछि।

    ज्ञात हो कि पंचायत अंतर्गत वार्ड संख्या 5 मे भगवती स्थान परिसर मे पिछला वर्ष 2015 मे 13’म वित्त आयोगक राशि स आंगनबाड़ी केंद्र भवनक निर्माण प्रारंभ कायल गेल। भवन निर्माणक दौरान छत ढालिकय छोड़ि देल गेल। भवनक प्लास्टर, दरवाजा, खिड़की आदि काज एखन धरि अधूरा पड़ल अछि।

    करीब 6 लाख 66 हजारक लागत स बनय वला आंगनबाड़ी केंद्र भवन निर्माण काज पूरा नहि हेबा सं वार्ड सहित पंचायतक लोक मे नाराजगी देखल जा रहल अछि। अहि संबंध मे पंसस ममता रानी जिलाधिकारी मधुबनी, अनुमंडल पदाधिकारी बेनीपट्टी एवं बीडीओ शिवशंकर राय के आवेदन दय पंचायतक अधूरा पड़ल योजना के शीघ्र पूरा करबाक एवं दोषी अभिकर्ता पर समुचित कार्रवाई करबाक मांग कायल गेल अछि।