99 गोट उम्मीदवारक दोसर सूची, 14 विधायकक कटल टिकट

    0
    495

    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय जनता पार्टी शनिदिन 99 गोट उम्मीदवारक अपन दोसर सूची जारी कय देलक। बीजेपी मुख्यालय मे संपन्न भेल भाजपाक केंद्रीय चुनाव समितिक बैसारक बाद केंद्रीय स्वास्थ मंत्री जेपी नड्डा संवाददाता सम्मेलन कय अहि बातक ऐलान केलाह। 160 सीट पर चुनाव लडि़ रहल भाजपा एखन तक 142 गोट सीट पर अपन उम्मीदवारक नामक घोषणा कय देलक बांकिक 18 गोट नामक सूची बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह कें सौंप देल गेल अछि।  
    आश्चर्यक बात इ जे भाजपा निवर्तमान विधायकमे सं 14 गोट विधायकक टिकट काटि देलक अछि जाहि मे पार्टीक वरिष्ठ नेता सुखदा पांडे्यक नाम सेहो शामिल अछि। ओमहर पार्टी दोसर दलक आधा दर्जन सं बेसी विधायक कें टिकक सेहो देलक अछि। शनिदिन जेडीयू छोडि़ बीजेपी मे शामिल भेल विधायक सतीश कुमार कें पार्टी राघोपुर सं उम्मीदवारक बनौलक अछि जाहिठाम सं लालूक छोट बेटा तेजस्वी उम्मीदवार छथि। 
    जातीगत समीकरण कें देखैत पार्टी 13 गोट यादव ओ 40 गोट टिकट सवर्ण उम्मीदवार कें देलक अछि। पार्टी अहि बेर बीजेपीक वरिष्ठ नेता ओ पूर्व केंद्रीय मंत्री सीपी ठाकुरक पुत्र, बीजेपी सांसद ओ बिहारक पूर्व स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चैबेक पुत्र आ जगन्नाथ मिश्रक पुत्र नीतीश मिश्र कें सेहो टिकट देलक अछि। तहिना पार्टी पूर्व सांसद विश्व मोहन कुमार कें सेहो उम्मीदवारी देलक अछि। 
     
    99 गोट उम्मीदवारक पूरा सूची
    समस्तीपुर-रेणु कुशवाहा
    मोरवा-सुरेश राय
    भागलपुर-अरजीत शास्वत
    वरसालीगंज-अरुणा देवी     
    जमुई-अजय प्रताप सिंह
    भभुआ-आनंद भूषण पाण्डेय, 
    एकमा-कामेश्वर सिंह,
    बनियापुर-तारकेश्वर सिंह
    तरैया-जनक सिंह
    मढ़ौरा-लाल बाबू राय
    छपरा-डॉ. सीएन गुप्ता, 
    गड़खा(सु)-ज्ञानचंद मांझी     
    अमनौर-शत्रुध्न तिवारी (चोकर बाबा)
    सोनपुर-विनय कुमार सिंह, 
    राघोपुर-सतीश कुमार यादव
    महनार-डॉ. अच्युतानंद सिंह
    पातेपुर(सु)-महेंद्र बैठा
    बिहारशरीफ-डॉ. सुनील कुशवाहा
    बाढ़-ज्ञानेंद्र कुमार ज्ञानू 
    बख्तियारपुर-रणविजय सिह उर्फ लल्लू मुखिया
    दीघा-संजीव चैरसिया
    दानापुर-आशा सिन्हा
    मनेर-श्रीकांत निराला
    बिक्रम-अनिल कुमार
    संदेश-संजय सिंह (टाइगर)
    बड़हरा-आशा देवी
    अगियांव (सु.)-शिवेश कुमार
    शाहपुर-विश्वेश्वर ओझा
    ब्रम्हपुर-विवेक ठाकुर
    बक्सर-प्रदीप दुबे
    राजपुर (सु.)-विश्वनाथ राम 
    रामनगर (सु.)-भागीरथी देवी
     नरकटियागंज-रेणु कुमारी
    बगहा-राघव शरण पाण्डेय 
     लौरिया-विनय बिहारी
    नौतन-नारायण प्रसाद
     चनपटिया-प्रकाश राय
     सिकटा-दिलीप वर्मा
     रक्सौल-डॉ. अजय कुमार सिंह
     सुगौली-राम चंदर साहनी,
    हरसिद्धी (सु.)-कृष्णनंदन पासवान
    केसरिया -राजेंद्र गुप्ता
    कल्याणपुर -सचिन्द्र प्रसाद सिंह
    पिपरा-श्याम बाबू प्रसाद
     मधुबन-राणा रणधीर सिंह
    चिरैया-लाल बाबू प्रसाद गुप्ता
     ढाका-पवन कुमार जायसवाल
     रीगा-मोती लाल प्रसाद
    बथनहा (सु.)- दिनकर राम
    परिहार-गायत्री देव
    गायघाट-वीणा देवी
    औराई-राम सूरत राय
     सकरा (सु.)-अर्जुन राम
    मुजफ्फरपुर-सुरेश कुमार शर्मा
    बरुराज-अरुण कुमार सिंह
    पारू-अशोक कुमार सिंह 
    साहबगंज-राजू कुमार सिंह
    बैकुंठपुर-मिथिलेश तिवारी
    बरौली-रामप्रवेश राय
    गोपालगंज-सुभाष सिंह
    भोरे (सु.)-इन्द्रदेव मांझी 
    सीवान-व्यास देव प्रसाद
    जीरादेई-आशा देवी
    दरौली (सु.)-रामायण मांझी
     रघुनाथपुर-मनोज सिंह
    दरौंदा-जीतेन्द्र स्वामी
    गोरियाकोठी-देवेश कान्त सिंह
    महाराजगंज-कुमार देव रंजन सिंह
    खजौली-अरुण शंकर प्रसाद
    मधुबनी-रामदेव महतो
    राजनगर (सु.)-रामप्रीत पासवान
    झंझारपुर-नीतीश मिश्र
    लौकहा-प्रमोद प्रियदर्शी
    निर्मली-राम कुमार राय
    पिपरा-विश्वमोहन कुमार
    छातापुर-नीरज सिंह बबलू
    नरपतगंज-जनार्दन यादव
    रानीगंज (सु.)-रामजी ऋषिदेव
    फारबिसगंज-मंचन केसरी 
    सिकटा-विजय मंडल
    किशनगंज-स्वीटी सिंह
    अमौर-सबा जफर
    कस्बा-प्रदिप कुमार दास
    बनमनखी(सु.)-कृष्ण कुमार ऋषि
    पूर्णिया-विजय खेमका
    कटिहार-तार किशोर प्रसाद
    कदवा-चंद्रभुषण ठाकुर
     प्राणपुर-विनोद सिंह
    बरारी-विभाष चंद्र चैधरी
    कोढ़ा-महेश पासवान
    बिहारीगंज-डॉ. रविन्द्र चरण यादव
    मधेपुरा-विजय कुमार यादव
    सहरसा-आलोक रंजन
    बेनीपुर-गोपालजी ठाकुर
    अलीनगर-मिश्रीलाल यादव
    दरभंगा सदर-संजय सरावगी
    बहादुरपुर-हरि साहनी
    केवटी-अशोक यादव
    जाले-जिबेशकुमार मिश्रा
    अपने कें बता दी जे बीजेपी एलजेपी नेता चिराग पासवानक नाराजगीक बादो जमुई सीट पर अपन उम्मीदवार घोषित केलक अहि जाहिक बाद एक बेर फेर सं अंतःकहल हेवाक बात साफ झलकि रहल अछि।