पुलिस सप्ताह’क अवसर पर 61 गोट पुलिसकर्मी सम्मानित

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: 22 सं 27 फरवरी तक मनाओल गेल पुलिस सप्ताहकें लय शनिदिन पुलिस लाईनमे भव्य परेडक आयोजन कएल गेल। परेडक सलामी दरभंगा प्रक्षेत्रक आईजी उमाशंकर सुधांशु लेलनि। कार्यक्रमकें दौरान 10 जिलाक 61 गोट पुलिसकर्मीकें पुरस्कृत कएल गेल। सम्मानित होबय वलामे पूर्णिया प्रक्षेत्र सं 33, सुपौल सं 22 आ किसनगंज सं 6 पुलिसकर्मी शामिल छल।

    आईजी सुधांशु कुमार सं जहन पूछल गेल जे, दरभंगा कमिशनरीकें पुलिसकर्मीक नाम अहिमें कियैक नहि शामिल अछि? त ओ कहलनि जे, डीआईजी दरभंगा’क दिस सं कोनो फैक्स या प्रस्ताव डीजीपीकें नहि भेटल अछि। ओ कहलनि जे, सम्मान राशिके रूपमे 99 हजार 400 रुपैया पुलिसकर्मीके बीच बांटल गेल। ओ कहलनि जे, बेहतर अनुसंधान आ अनुसंधानमे सहयोग करय वलाकें पुरस्कृत कएल गेल।

    सम्मान राशिकें अलावा ओ डीजीपीकें हस्ताक्षयुक्त प्रशस्ति पत्र सेहो देल गेल। अहि समारोहमे खास बात ई रहल जे, सुपौल जिलाक 3 गोट चौकीदारकें सेहो पुरस्कृत कएल गेल। समारोहमे एसएसपी सत्यवीर सिंह, एएसपी दिलनवाज अहमद, डीएसपी हेडक्वाटर विजय कुमार झा समेत बहुतो अधिकारी मौजूद छल।