बिहारक पूर्व राज्यपालक बेटा खरीदलनि 100 करोड़क प्रोपर्टी

    0
    397

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के पूर्व राज्यपाल आ कांग्रेस नेता डी वाई पाटिल के बेटा अजिंक्‍य पाटिल आई-कैल्ह खूब चर्चा मे छथि। आजिंक्य पाटिल मुंबई मे करीब 100 करोड़ रुपैयाक प्रॉपर्टी खरीदलनि, जे चर्चाक विषय बनल अछि।

    अंग्रेजी अखबार ‘टाइम्स ऑफ इंडिया’ के मुताबिक अजिंक्‍य वर्ली के सिल्वरीन टेरस बिल्डिंग मे एकटा ट्रिपल डुप्‍लेक्‍स अपार्टमेंट खरीदलनि। सिल्‍वरीन टेरस एकटा 23 मंजिला इमारत अछि, जतय सं समुद्रक नजारा स्पष्ट देखाइत अछि।

    अहि प्रॉपर्टी के पाटिलक फर्म एआईपीएस रियल स्‍टेट के नाम पर खरीद गेल। अहि स संबंधित कागजात पर फर्मक डायरेक्‍टर्स मे स एकटा राजेश रावरेनक दस्तखत अछि। अखबार लिखने अछि, ‘अहि प्रॉपर्टी के करीब 95.4 करोड़ मे खरीदल गेल अछि आ स्‍टैंप ड्यूटी करीब 4.7 करोड़क अछि।’

    अजिंक्‍य के अहि डील के रीयल्‍टी सेक्‍टर सं जुडल लोक गेमचेंजर बता रहल अछि। किया कि ई एहेन समय खरीदल गेल अछि जहन महज घर खरीद-बिक्रीक बाजार काफी सुस्‍त अछि।