लिटिल चैंप आओर इंडियन आइडल फेम मैथिली ठाकुर सं भेंटघांट

    0
    891

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मधुबनी जिलाक बेनीपट्टीक उडे़न गांव सं देशक राजधानी दिल्ली होइत देशक दू गोट प्रतिष्ठित स्टेज तक कें सफर तय केनिहाइर मिथिलाक बेटी ‘मैथिली ठाकुर’क संग मिथिला मिरर’क विशेष कार्यक्रम भेंटघांट मे मैथिली सं जुड़ल एक-एकटा तथ्य सं हम अपने सब कें अवगत करायब।

    मैथिली ठाकुरक पारिवारिक परिचय
    बेनीपट्टीक उड़ेन गांमक रहनिहाइर मैथिली ठाकुर एखन दिल्लीक नजफगढ़क धर्मपुरा मे रहैत छैथ। तीन भाई बहिन मे मैथिली सब सं जेठ छैथ आ संगीतक शिक्षाक अलावे द्वारकाक प्रतिष्ठित स्कूल मे कक्षा 10 मे पैढ़ रहली अछि। मैथिली सं छोट भाई रिषभ ठाकुर छैथ जे कक्षा 7 मे पैढ़ रहल छैथ आ संगीतक शिक्षा ल रहल छैथ। रिषम बाल्यकाल सं नीक तबला बजावैत छैथ। मैथिलीक सब सं छोट भाई गुंजन ठाकुर छैथ जे कक्षा 3 मे पढि़ रहला अछि टा ओहो संगीतक शिक्षा लय रहला अछि। देखबा मे छोट मुदा जखन गुंजन तबला पर बैसै छैथ त हुनकर हाथ बिहाइर जेना जलय लागैत अछि। ओहकें बाद चाहे दादरा, कहरवा, तीन ताल सं लय दू गुण, चै गुण सब स्वयं बाजय लागैत अछि। मैथिलीक पिता रमेश ठाकुर मूल रूप सं संगीत सं जुड़ल छैथ आ पेशेवर रूप सं संगीत कें शिक्षा द अपन परिवारक भरन, भोषण क रहला अछि। मैथिलीक पिता हुनकर संगीतक गुरू छथि। मैथिलीक माता गृहणी छथिन। रमेश ठाकुर अपन परिवारक संग 6-7 साल सं दिल्ली मे रहि रहल छैथ आ अपन धीया-पुता कें संगीत मे निपुण्ण करवाक लक्ष्य कें आत्मसात करवाक दिस अग्रसर छैथ।
    मैथिलीक संगीतक सफर……….
    मैथिली बाल्यकाल सं संगीत सं जुड़ल छैथ आ संगीत सं हिनका बहुत बेसी रूचि छन्हि। मैथिलीक नाम लोकक सोंझा तखन आयल जखन दिल्लीक दादा देव मेला ग्राउंड मे होइवला वार्षिक विद्यापति समारोह मे मैथिली अपन प्रस्तुति देने रहैथ। ‘ब्रह्मण बाबू यौ कनिये, कनिये होइयौ ने सहाय’ लोकक बीच बहुत बेसी लोकप्रिय भेल छल आ ओहिठाम सं मैथिली कें एकटा अलग पहिचान भेटल छलन्हि। ओहिकें बाद मैथिली मंच सं दूरी बनवैत संगीत शिक्षा आओर सुर साधना दिस अपन ध्यान बेसी लगाबय लगलिह। मुदा संगीतक स्पर्धा मे मैथिली राज्य स्तरक कार्यक्रम मे पैछला 4 साल सं प्रथम आबि रहली अछि। मैथिलक नाम एक बेर फेर तखन देश, विदेश मे चिर-परिचत नाम रूप मे लोकक सोंझा आयल जखन 2011 मे जी टीवी प्रतिष्ठित गीतक कार्यक्रम ‘लिटिल चैंप’ मे मैथिलीकें जगह भेटलनि आ ओ टाॅप-10 तक पहुंच कय मिथिला, मैथिलक नाम कें गर्वांन्वित केलीह। हालहि 2015 मे सोनी टीवीक एकटा आओर प्रतिष्ठित शो ‘इंडियन आइडल’ मे टाॅप-20 तक पहुंचलीह मुदा टाॅप-12 मे जगह बनेवा मे असफल रहलीह। संगीतक संग-संग पढ़ाइ मे सेहो अव्वल छैथ। प्रति वर्ष क्लास मे मैथिली कें 95 प्रतिशत अंक बान्हल छन्हि।
    मैथिली ठाकुर आओर मिथिला मिरर’क संपादक कें बीच भेल बातचीत पूरा साक्षात्कार अपने नीचा देल गेल लिंक पर क्लीक क देख सकैत छी आ मैथिलीक सफर सं जुड़ल एक-एकटा चीज कें जानि सकैत छी।