मांझी कें बल्ले-बल्ले, मुख्यमंत्री बनिते संपत्ति मे 11 गुणा बढ़ौतरी

    0
    540

    दिल्ली-मिथिला मिररः देशक जनताक स्थिति चाहे जेहन हो मुदा बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री ओ हिन्दुस्तान अवामी मोर्चा अर्थात हम कें राष्ट्रीय अध्यक्ष जीतन राम मांझीक लेल मुख्यमंत्री बनलाह बाद बुझू जे कुबेरक भंडार खुजि गेलनि। मुख्यमंत्री बनलाक बाद जीतन राम मांझीक संपत्तिमे 11 गुणा बढ़ौतरी दर्ज कैल गेल। 
    अपने सब हैरान जुनि होउ इ मिथिल मिरर ओ कोनो आन समाचारक द्वारा जुटाओल गुप्त आंकड़ा नहि अपितु स्वयं मांझी द्वारा नामांकन करवाक काल मे चुनाव आयोग कें सौंपल गेल शपथ पत्र अर्थात आफिडेविड मे देलनि अछि। 2010कें विधानसभा चुनाव मे मांझी 5 लाखक संपत्तिक ब्योरा देने छलथि मुदा 2015कें नामांकन मे इ बढि़ क 53 लाख भय गेल अर्थात मांझीक संपत्ति लगभग 11 गुणा बढि़ गेलनि। इ जानकारी मांझी मखदुमपुर सीट सं नामांकन करवाक दरम्यान चुनाव अधिकारी कें देलनि। 
    एक नजैर मांझी संपत्तिक ब्योरा पर
    नगद अपना लग- 2,50,000 टका
    बैंक मे जमा- 32,46,876 टका 
    गाड़ी- एंबेसेडर-1,25,000 टकाक एवं स्काॅर्पियो-4,50,000 टका
    घरक दाम-13,00,000 टका
    कुल-53,71,876
    पत्नीक संपत्ति
    नगद-50,000 टका
    गहना-2,90,000 टकाक
    बैंकमे जमा-8,87,554
    कुल संपत्ति-12,27,554
    2010 मे मांझीक कि छल संपत्ति एक नजैर
    नगद-50,000 टका
    बैंक मे जमा-1,64,839
    निवेश-3,20,988
    गाड़ी-एकटा एंबेसेडर
    कुल संपत्ति-5,35,827
    पत्नीक संपत्ति
    एक लाख टकाक गहना मात्र
    बेटा संतोषक संपत्ति
    खेती करवा योग्य जमीन 5 एकड़ ओ 5 लाख टका नगद
    बेटा प्रवीणक संपत्ति
    4 लाख टका नगद ओ खेती करवा योग्य 1 एकड़ जमीन।
    आब एकटा बात त साफ भय गेल जे नीतीशक कुमारक कथित अहंकारी राजनीतिक कारण जीतन राम मांझीक त ‘अच्छे दिन’ आबि गेल मुदा दलितक कहिया आओत से भगवान जनता।