बृ़हस्पतिदिन पटना मे एक मंच पर नीतीश और केजरीवाल

    0
    444

    पटना,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः बृहस्पतिदिन बिहारक राजधानी पटना मे दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल ओ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दुनू एक मंच पर संग रहता। दिल्ली मे नीतीश ओ केजरीवालक भेंटघांटक बाद इ पहिल बेर अछि जे अरविंद केजरीवाल पटनाक कोनो कार्यक्रम मे नीतीशक संग हेताह। एकटा सरकारी विज्ञप्तिक अनुसार लोक सेवाओं का अधिकार अधिनियम मे चारि बरख पूरा हेवाक उपलक्ष्य मे आयोजित कार्यक्रम मे एक संग मंच साझा करताह।
    बिहार विधान सभा चुनाव सं पहिने अरविंद केजरीवाल कें नीतीश कुमार संग ऐला पर विभिन्न तरहक टिप्पणी सेहो कैल जा रहल अछि। अपने कें बता दी कि दिल्ली विधान सभा चुनाव मे अरविंद केजरीवालक पक्ष मे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन एकोटा उम्मीदवार चुनाव मैदान मे नहि उतारने छलथि आ अकरे इ परिणाम थिक जे आगामी विधानसभा चुनाव सं पहिने केजरीवाल कें एकटा सरकारी सेमिनारक बहाने राज्य मे युवा वोटर कें अपना दिस करवाक कोशिश नीतीश कुमार कैलनि अछि।
    हालांकि चर्चा अहु बात पर गर्म छैक कि मंच पर राष्ट्रीय जनता दल अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव रहता कि नहि आ जौं लालू मंच पर रहता त केजरीवाल हुनका संग हाथ मिलेता अथवा नहि? कारण अरबो टकाक चारा घोटालाक एकटा मैमला मे कोडरमा कोर्ट द्वारा लालू यादव कें सजा सुनाओल जा चुकल अछि आ लालू यादव चुनाव लड़वा सं सेहो अयोग्य क देल गेल छैथ। एहन मे सजा याफ्ता मुजरिमक संग केजरीवालक संग रहब दिलचस्प हैत कारण कि अरविंद केजरीवालक राजनीतिक जन्म भ्रष्टाचारक विरूद्ध भेल छल। पटना मे मंच पर कि सब हेतैक ओहि लेल किछु समय प्रतीक्षा अवश्ये करय पड़त मुदा ओहि ठाम जे हेतै से किछु ने किछु चमत्कारिक अवश्ये हेतै अहि बातक पूर्ण संभावना अछि।