देश स्तर पर संगठन कें मजबूत बनेवा मे जुटल एमएसयू

    0
    368

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलाक सर्वांगिण विकासक लेल लगातार मिथिला सहित देशक आन-आन हिस्सा मे अपन अवाज कें बुलंद करय बला समाजिक संस्था ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ अर्थात एमएसयू देशक विभिन्न हिस्सा मे अपन शाखाक विस्तार कऽ रहल अछि। मिथिला स्टूडेंट यूनियनक मिथिला सहित बिहार मे कतेको शाखा खुजि गेल अछि।
    सांगठनिक रूपें अपना आप कें आओर बेसी मजबूत बनेवाक लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन रविदिन दिल्लीक बुराड़ी ओ मिलन विहार मे सदस्यता अभियान चलौलक जाहि मे बढि़-चढि़ कय मैथिल युवा ओ मैथिल समाज हिस्सा लेलनि। बुराड़ी ओ मिलिन विहारक जनता मे संस्थाक प्रति एतेक बेसी स्नेह देखल गेल जाहिक परिणाम छल जे संस्था कें किछु आर्थिक मदद सेहो भेटल। 
    मिलन विहार मे एमएसयूक टीम अमरनाथ मिश्रक सानिध्य मे अपन सदस्यता अभियान चलौलक। संस्था कें देशक राजधानी दिल्ली मे जाहि तरहक समर्थन ओ सहयोग भेट रहल अछि ओहि सं संस्थाक समस्त सदस्य लोकनि गदगद छथि आ अपना कार्यक्षेत्र कें आओर व्यापक स्तर पर बढ़ेवाक पूर्ण तैयारी मे जुटी गेलाह अछि।