जयप्रकाशक बनाओल जायत मेमोरियल, केंद्रीय कैबिनेटक निर्णय

    0
    451

    दिल्ली,मिथिला मिरर-विनय मिश्रः भारतक पहिल राष्ट्रपति डाॅ. राजेंद्र प्रसाद एवं लोकप्रिय नेता बाबू जगजीवन रामक मेमोरियलक बाद आब देशक राजनीति कें नव दिशा देखौनिहार जयप्रकाश नारायण अर्थात ‘जेपी’क मेमोरियल बनेवाक निर्णय केद्र सरकार लेलक अछि। दिल्ली मे संपन्न केंद्रीय कैबिनेटक बैसार मे अहि बातक निर्णय लेल गेल। निश्चित रूपहिं इ बिहार ओ बिहारक नेतृत्वक लेल एकटा पैघ सम्मान कहल जा सकैत अछि।

    केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह बैसारक बाद मीडिया कें बतौलनि जे बिहारक सारण जिलाक सिताब दियार ‘लाल का टोला’ जे जेपीक पैतृक गांव छन्हि ओहिठाम राष्ट्रीय स्तरक मेमोरियल बनेवाक निर्णय केंद्र सरकार लेलक अछि। संगहि राजनाथ इहो कहला जे इ मात्र राष्ट्रीय मेमोरियल नहि अपितु इ राष्ट्रीय संग्रहालय सेहो होयत।