गृह सचिव सहित राज्यक कतेको अफसरक तबादला

    0
    456

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभाक तारीख घोषित हेवका बाद चुनाव आयोग पूर्ण रूप सं अपन कमर कैस लेलक अछि। शुक्रदिन राइत मे चुनाव आयोग बिहारक कतेको जिलाक जिलाधिकारी सहित आरक्षी ओ वरीय आरक्षी अधिक्षकक बदली कय देलनि। सब सं पैघ उलटफेर इ रहल जे चुनाव आयोग बिहारक गृह सचिव आमिर सुबहानीक सेहो तबादला कय देलक। आब सुधीर कुमार राकेश राज्यक नव गृह सचिव हेताह। 
    मनु महाराज कें एक बेर फेर सं गया कें एसएसपी बनाओल गेल त हालहिं तबादला भेल पटनाक एसएसपी विकास वैभव कें एक बेर फेर सं पटना आबि गेलाह। पटनाक डीएम संजय अग्रवाल कें बदली कय गया पठा देल गेलनि त कुमार रवि आब दरभंगा आ संजय कुमार सिंह कटिहार कें डीएम हेताह। निशांत तिवारी कें पूर्णिया कें एसएसपी बनाओल गेल त कुलदीप नारायण सिंह मधुबनीक जिलाधिकारी हेताह। 
    विकास वर्मन कें नवादाक एसपी बनाओल गेल त देवेश सेहरा कें कैमूरक डीएम बनाओल गेल। ओमहर गोपाल मीणा कें लखीसराय कें डीएम बना जिला मे भेजल गेल।